🇮🇳Selfie With Tiranga🇮🇳

🇮🇳Selfie With Tiranga🇮🇳

भाई हमर अनमोल रे ~~~~~~~~~~~~~~~~ सगर विश्व दलमल्लित भय गेल सगर नगर अनघोल रे हम छी बहिनी परम दुलारु भाई हमर अनमोल रे। बहिनिक आँखिक भाई छै तारा बहिनिक मान निबाह करय संकट मे आयल बहीन जौं संकटमोचन भाई बनय दुःख मे सुख मे ठाढ रहय जे भाई स्नेह नहि मोल रे हम छी बहिनी परम दुलारु भाई हमर अनमोल रे। महफा कान्ह लगावथि भैया सासुर बहिनी राज करु नैहरक मान बचाकय राखब भाईक पागक लाज राखू मिठगर वात विचार राखब आ मिठगर बाजब बोल रे हम छी बहिनी परम दुलारु भाई हमर अनमोल रे। राखी नौत पठाबी भैया बदला एक उपहार दियऽ माय-बाप के खुश राखब से फेर सँ हमरा वचन दियऽ कुल के मान बढायब भैया जीवन मिश्री घोल रे हम छी बहिनी परम दुलारु भाई हमर अनमोल रे। सबहक बहिनिक मान करब से भैया आई ई प्रण ठानू अपन बहिनक मर्यादा सन सऽब बहिनक मान मानू हमर भाई छथि श्रेष्ठ ई जग मे कहब बजाकयऽ ढोल रे हम छी बहिनी परम दुलारु भाई हमर अनमोल रे। ~~~~~~~~~~~~~~~~~~~~ अदिति झा
#

🇮🇳Selfie With Tiranga🇮🇳

🇮🇳Selfie With Tiranga🇮🇳 - ShareChat
122 views
6 months ago
No more posts
Share on other apps
Facebook
WhatsApp
Copy Link
Delete
Embed
I want to report this post because this post is...
Embed Post